Sunday, July 29, 2012

बनि कऽ रहत मिथिला राज्य

दरभंगा : आइआइटी मद्रासक प्रोफेसर संग प्रसिद्द भाषा वैज्ञानिक डा॰ श्रीश चौधरी बीतल काल्हि दरभंगामे भेल एकटा कार्यक्रममे कहलैथ जे मिथिला राज्य बनय लेल कोनो टा ताकत नहि रोकि सकैत अछि, ओना अहि सऽ पहिने संपूर्ण मिथिलामे संपूर्ण क्रांति केर जरुरत अछि। MMTM कालेजमे आयोजित अभिनंदन समारोहमे डा॰ चौधरी कहलैथ जे छोट राज्यक परिकल्पना कोनो नव नहि अछि ,अगर देखल जाय तऽ छोट राज्यमे विकासक गति बहुत तेज होइत अछि। ओ कहलैथ जे ओ दिन दूर नहिँ जहिया तेँलगाना आ विदर्भक संगे मिथिलाक गठन होएत। देर-सबेर केन्द्र सरकार के इ निर्णय लेबय टा पड़त। डा॰ चौधरी मिथिलावासी सऽ अपील केलैथ जे आहाँ सब एहि लेल तैयार रही। सामाजिक आर्थिक समस्याकेँ दूर करबाक जरुरत अछि। ओ कहलैथ जे दरभंगा मेँ 1 जनवरी के करोड़ो रुपया मांस-माछ पर खर्च भऽ जाय छै, प्रति साल करोड़ो रुपया भोजमे खर्च होइत अछि मुदा शहरमे एक्को टा स्तरीय किताबक दुकान नहि छैक। मिथिला आ मैथिलीक विकास लेल सदिखन तत्पर रहनिहार आंदोलनरत डा॰ बैद्यनाथ चौधरी जीक प्रशंसा करैत कहलैथ जे बैजूजी व्यक्ति नहि संस्था छथि!

0 comments:

Post a Comment