समस्तीपुर रेलमंडलक प्रबंधक सत्य प्रकाश त्रिवेदी बीतल काल्हि दरभंगा जंक्शनक निरीक्षण केलैथ।अय दौरान ओ यात्री सुविधा बढ़ाबय,साफ-सफाईक संगे पइनक अभाव नय हो इ सब बातक र्निदेश अधिकारी लोकनि के देलखिन।अपन तबादला बाद बतौर डीआरएम अपन अंतिम प्रवास पर दरभंगा पहुंचलैथ,अय लेल मेँबर आफ कामर्स आ रेलकर्मी द्वारा हुनक अभिनंदन कैल गेल।अय अवसर पर बातचीतक क्रम मेँ डीआरएम बतेलैथ जे दरभंगा जंक्शन के अखन सभ सऽ पैघ समस्या प्लेटफार्मक कमी अय। ट्रेनक तुलना मेँ प्लेटफार्म कमी अय आ एकर कमी भेला सऽ गाड़ी सबकेँ जंक्शन से पूर्वक स्टेशन पर रोकल जाय अय,अय से यात्री सभ के परेशानी होय छन।ओ कहलैथ जे दरभंगा मेँ रेलवे के जमीनक कमी अय तल लेल नव प्लेटफार्म बनाबय मेँ समस्या आबि रहल अय खैर प्लेटफार्म संख्या पांचक निर्माण जल्द कऽ लेल जाओत।तीन-चारि महिना मेँ पांचम प्लेटफार्म अवश्य बनि जायत।अय मौका पर डा॰ प्रभात दास फाउंनडेशनक तरफ सऽ मर्चरी चैँबर(आधुनिक ताबूत) रेल प्रशासन के उपलब्ध करा देल गेल हँ,आब यात्री सभ के अज्ञात शवक गंध नय परेशान करत।
0 comments:
Post a Comment