अगर सब चीज ठीक-ठाक रहल तऽ दुमका आ गोड्डा जिलावासी के चिरप्रतिक्षित मनोरथ अर्थात् हंसडीहा से भागलपुरक बीच अगस्त सऽ ट्रेन चलय लागत।बीतल रवि के पूर्व रेलवे के मालदा डिवीजन के इंजीनियर सभक एकटा टीम हंसडीहा पहुंचल आ एक टा बागी वला ट्रेनक ट्रायल अय रेलखंड पर केलक संगे हंसडीहा स्टेशनक प्लेटफार्म नम्बर दू आ तीन पर ट्रेन चला ट्रैकक गुणवत्ता के जांच सेहो केलक।रेलवे सूत्रक अनुसार विभाग अय नबका रेलखंडक सीआरएस जांच अगस्तक प्रथम सप्ताह मेँ कराओल जायत।बता दी जे मंदारहिल से हंसडीहाक बीच 24 किलोमीटरक काज पूरा भऽ गेल अय।अय रेलखण्डक अंर्तगत नव बनल कमराडोल हाल्ट आ हंसडीहा स्टेशन पर सिग्नल,इजोत आ संचार जेहन महत्वपूर्ण काय पूरा भऽ गेल अय।लोक सभ मेँ अय गप्पक खुशी देखाय दऽ रहल अय जे आब भागलपुर ट्रेन सऽ आबि-जाय सकब।इ रेलखण्ड बनला सऽ दुमका,जामताड़ा,गोड्डा आ भागलपुर के बहुतो लोक के सुविधा हेतन!
0 comments:
Post a Comment