सार्वजनिक क्षेत्रक कम्पनी,तेल आ प्राकृतिक गैस निगम(ओएनजीसी) अगस्त सऽ मिथिलाक किशनगंज मेँ दू ठाम तेल आ प्राकृतिक गैस ताकय लेल खुदाई शुरु करत।बिहार मुख्यमंत्री कार्यालय के एकटा अधिकारी बीतल काल्हि कहलैथ जे ओएनजीसी अगिला मास सऽ किशनगंज मेँ खुदाई शुरु के फैसला कयलक हँ। बता दी जे इ कम्पनी मिथिलाक पूर्णिया,अररिया, किशनगंज आ कटिहार जिला मेँ 1990 मेँ हाइड्रोकार्बनक अन्वेषण कयने छल।यैह कम्पनी फेर 2007-08 मेँ फेर इ कम्पनी अन्वेषण कयने छल।
कम्पनीक एकटा उच्चस्तरीय अधिकारी बतौलैथ हँ जे कम्पनी अंतत: तेल आ प्राकृतिक गैस ताकय लेल किशनगंज मेँ दू ठाम खुदाईक फैसला कयलक हँ।
कम्पनीक एकटा उच्चस्तरीय अधिकारी बतौलैथ हँ जे कम्पनी अंतत: तेल आ प्राकृतिक गैस ताकय लेल किशनगंज मेँ दू ठाम खुदाईक फैसला कयलक हँ।
0 comments:
Post a Comment