Saturday, July 21, 2012

10 टा बाल मजदूरक मुक्ति

कटिहार रेलवे स्टेशन पर बीतल काल्हि आम्रपाली एक्सप्रेस आ सीमांचल एक्सप्रेस सऽ बचपन बचाओ संस्था द्वारा अपन नियमित जांचक दौरान रेल पुलिसक सहयोग से 10 टा बाल मजदूर के ट्रेन से उतारल गेल।संस्थाक प्रदेश अध्य्क्ष घरन महतो बतेलैथ जे सूत्रक माध्यम सऽ इ जानकारी भेटल छल जे धिया-पुता के काज कराबय लेल अय ट्रेन सब सऽ बाहर भेजल जायत। बता दी जे अय सऽ पूर्व इ संस्था दिल्लीक विभिन्न कारखाना सऽ लगभग 350 बच्चा के मुक्त करौलक हँ।सभ बच्चा के हुनक परिजन के सौँप देल गेल हँ।इ सभ बच्चा अररिया,पूर्णिया,कटिहार आ किशनगंजक छैथ जिनका मजदूरी करयबा हेतु दिल्ली,पंजाब लऽ जाय के तैयारी छल। रेल पुलिस अय सभ बच्चा के लऽ जाय बला मुख्य आरोपी के अखन धरि नहिँ पकड़ि सकल हँ,खोजबीन जारी अय।

0 comments:

Post a Comment