Monday, August 6, 2012

सीमा पर गांजा तस्करी

अररिया के कुर्साकांटा प्रखंडक सीमावर्ती गाम सभ मेँ अखन गांजा तस्करी जोर पकड़ने अय।अय कार्य मेँ बहुतो माफिया आ छोट पैघ तस्कर जुड़ल अय।एसएसबी बथनाहा के चौबीसम बटालियन सीमाक क्षेत्र मेँ चैता,डुब्बा,बटराहा, डुमरिया,मधुबनी आ अठ्ठाइसम बटालियन एसएसबी अररिया के सीमा क्षेत्र भलुआ नदी के कात होयत,भलुआ के कांटा बांध भऽ,पीरगंज,दहिपोड़ा, बारुदह,भुलानी,लेटी, सिकटी आदि क्षेत्र गांजा तस्करी लेल सुरक्षित जोन बनि गेल हँ।

अय मेँ भारतीय तस्कर पैघ मात्रा मेँ छैथ,व्यवसायी नेपाल मेँ गांजा खरीद कऽ रातिक अन्हार मेँ भारतीय क्षेत्र मेँ पहुँचि भारत मेँ पहुंचा रहल छैथ जखन की तस्कर सभ पर नजरि राखय लेल चौबीसम आ अठ्ठाइसम बटालियन एसएसबी सीमा पर तैनात अय।

0 comments:

Post a Comment