Monday, August 13, 2012

नौ सूत्री मांग लऽ धरना प्रर्दशन

झंझारपुर रेलवे जंक्शन(मधुबनी) पर मिथिला राज्य संघर्ष समिति,दरभंगाक नेतृत्व मेँ सैकड़ो स्थानीय लोकक संग नौ सूत्री मांगक समर्थन मेँ आइ एकदिवसीय शांतिपूर्ण धरना देलक।धरनाक अध्यक्षता बैद्यनाथ चौधरी बैजू कयलैथ।सभा के संबोधित करैत वक्ता सभ सकरी जंक्शन सऽ फारबिसगंज,झंझारपुर जंक्शन सऽ लौकहा आ बिरौल सऽ हसनपुर तक जल्द सऽ जल्द आमान परिवर्तनक मांग कयलैथ।वक्ता सभ मनीगाछी के अनुमंडलक दर्जा देल जाय आ दरभंगा स्थित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय आ कामेश्वर सिँह संस्कृत विश्वविद्यालय के केँद्रीय विश्वविद्यालक दर्जा दयबाक संगे दरभंगा मेँ एकटा अंर्तराष्ट्रीय स्तरक विश्वविद्यालक मांग कयलैथ।वक्ता सभ पृथक मिथिलाक मांग करैत कहलैथ जे पृथक मिथिलाक बिना मिथिलाक विकास असभंव अय।सभा मेँ कार्यकर्ता सभ सऽ आह्रवान कैल गेल जे आगामी 22 अगस्त के पृथक मिथिला राज्यक पुर्नगठनक लेल संसद समक्ष धरना-प्रर्दशन मेँ भाग ली।धरना सभा मेँ आगामी 31 अगस्त के मंडन मिश्र हाल्ट पर धरनाक निर्णय लेल गेल।अहि मौका पर समितिक संयोजक बुचरु पासवान,मो॰ याकुब,रामसेवक ठाकुर,चन्द्रेश्वर झा,जीवकांत मिश्र आदि उपस्थित छलैथ।

0 comments:

Post a Comment