Thursday, October 11, 2012

आचार्य सुमनक जयंती

मैथिलक प्रतिष्ठित साहित्यकार पंडित सुरेँद्र झा सुमन केर जयंती पर समारोहक आयोजन कैल गेल।विद्यापति सेवा संस्थान केर महासचिव डा॰ बैद्यनाथ चौधरी बैजू केर अध्यक्षता मेँ एमएलएसएम कालेज परिसर,दरभंगा मेँ एकटा सभा केर आयोजन कैल गेल।वक्ता लोकनि हुनक व्यक्तित्व आ कृतित्व केर बतौलैथ आ संगे श्रद्धांजलि अर्पित कयलथ।

वक्ता सभ कहलैथ जे आचार्य सुमन साहित्य सभ विधा केर पंडित छलैथ।ओ मैथिली पत्रकारिता के एकटा नव आयाम देलैथ।हुनक जत्ते पकड़ मैथिली मेँ छल ओहि से बहुत बेसी संस्कृतक विद्धान छलैथ।एतय से ओ लोकसभा केर चुनाव सेहो जीतल छला।आइ धरि मैथिली साहित्य मेँ हुनका द्वारा खीँचल गेल रेखा के कियौ नहिँ पार कऽ सकला हँ।

अहि से पहिने विद्यापति सेवा संस्थान लग हुनक मूर्ति पर लोक सभ फूल आ माला अर्पित केलैथ।अहि मेँ मैथिली अकादमी के अध्यक्ष कमलाकांत झा,उदय शंकर मिश्र,अमलेँदू शेखर पाठक,बुचरु पासवान,मणिकांत झा,मिथिला आवाज केर सीइओ अजित आजाद केर संगे दर्जनोँ बुद्दिजीवी उपस्थित छलैथ।

0 comments:

Post a Comment