मधुबनी मेँ प्रेम प्रसंगक क्रम मेँ लड़का के गायब भेलाक बाद ओकर दू भाग मेँ कटल लाश भेटला पर मधुबनी मेँ लड़का पक्षक परिजन आ छात्र उग्र भऽ गेलैथ हँ।परिजनक,लड़की केर परिजन पर मामला के दबाबय के आरोप लगौबैत सड़क पर उतरि गेलैथ।अहि दौरान जखन पुलिसकर्मी हुनका सभ के रोकय के कोशिश केलैथ तऽ छात्र लोकनि पुलिस केर एकटा वाहन मेँ आगि लगा देलक हँ आ बहुतो जगह तोड़-फोड़ कयलक हँ।लड़का पक्षक दिस सऽ आइ मधुबनी बंद केर एलान केल गेल छल हँ।
एम्हर आइ सांझ मेँ आक्रोशित लोक सभ और उग्र भऽ गेलैथ जाहि कारण पुलिसबल के अंतत: फायरिँग करय पड़ल जाहि मेँ एक व्यक्ति के मारल गेल हँ।मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ दरभंगा प्रक्षेत्रक आइजी राकेश कुमार मिश्रा अपडेट लऽ किछु र्निदेश देलखिन हँ।सूत्रक अनुसार एकर पूरा संभावना अछि जे एहि पुलिस फायरिँग के न्यायायिक जांचक अनुशंशा कराओल जा सकैत अछि।गृह विभाग पटना,मधुबनी से इ रिपोर्ट मांगलक हँ जे आखिर कोन परिस्थिति मेँ पुलिस के फायरिँग करय पड़ल ? जे हंगामा कऽ रहल छलैथ से कोनो राजनीतिक दलक छलैथ वा स्थानीय लोक ? अहि सभ तरहक किछु प्रश्न पूछल गेल हँ!

0 comments:
Post a Comment