बिहार सरकार राज्यमें मनोरंजन उद्योगक विकास लेल राज्यमें सिनेमाघर, मल्टीप्लेक्सक निर्माणमें पूंजी निवेश पर लागएबला मनोरंजन करमें छूट केर मंजूरी दऽ देलक अछि।
राज्य सरकार नव सिनेमाघरक निर्माण, डिजिटल सिनेमाघर आ मल्टीप्लेक्सक निर्माण आ ओकर उन्नयनमें होबएबला निवेश पर मनोरंजन करमें निवेशक राशि केर मुताबिक छूट देबएक निर्णय कएलक अछि। फैसलाक मुताबिक 31 मार्च 2015 तक एक करोड़सँ बेसी आ डेढ़ करोड़सँ कमिक निवेश पर मनोरंजन करमें दू सालक छूट, जेखनकि डेढ़ करोड़सँ बेसी आ दू करोडसँ कमिक निवेश पर तीन वर्ष धरि करमें छूट भेंटत।
सरकार एहिं क्षेत्रमें दू करोड़सँ बेसी आ तीन करोड़सँ कम पूंजी निवेश पर मनोरंजन करमें चारि वर्ष आ तीन करोड़ टकासँ अधिक पूंजी निवेश करए पर पांचि वर्ष धरि छूट देबएक का निर्णय कएलक अछि। सरकारके भरोसा छै कि एहि डेहसँ राज्यमें मनोरंजन उद्योगक विकासके बढ़ावा भेंटत।
आब ई देखबाक अछि की एहिं डेगसँ मैथिली सिनेमा उद्योगकें कए अनाक लाभ हेत ?

0 comments:
Post a Comment