प्रशांत हत्याकांड केर विरोधमें मधुबनीमें शुक्रदिनसँ जारी हिंसाक आगि शनिदिनके जिलाक दोसर हिस्सा धरि सेहो पहुंच गेलै.
पुलिस दीससँ कएलगेल फायरिंगमें निशांत कुमार नामक युवकक मौत भेलासँ लोगनिमें आक्रोश बेसी भड़क गेल अछि. पिताएल भीड़ जतए बासोपट्टीक प्रखंड कार्यालयके जरा देलक, ओतहिं जयनगर आ खजौलीमें स्थानीय थानेमें आगजनी कएलक। साथएसाथ रेलवे स्टेशन पर जमकए तोड़फोड़ मचओलक.
प्रदर्शनकारी लोकनिक दीससँ कएलगेल आगजनीमें लाखन टकाक संपत्ति आ जरूरी कागज-पत्तर सेहो सोआहा भए गेल. स्थितिके नियंत्रित करएलेल सभसँ पहिनए पुलिस बेकाबू भीड़ पर लाठी चलओलक. एतबोसँ बात नञिं बनल, तें प्रदर्शनकारी लोकनिपर गोली सेहो चलाओल गेल. एहिं घटनामें करीब छओ गोट घायल भेलाह.
क्षेत्रमें तनावपूर्ण स्थितिके देखैत सी॰आर॰पी॰एफ॰ आ जिला पुलिस केर जवान क्षेत्रमें फ्लएग-मार्च कएलक. स्थानीए प्रशासन सुपौल, दरभंगा आ समस्तीपुरसँ सेहो पुलिसबल बजा लेलक.
प्राप्त समाद अनुसार प्रशांत हत्याकांडके विरोधमें शुक्रदिनसँ प्रदर्शन कए रहल लोगनिमें शामिल निशांत कुमारक पुलिस फायरिंगमें भेल मृत्यूसँ लोगक तमस आर बेसी भड़क गेल अछि.
0 comments:
Post a Comment