Sunday, October 14, 2012

मिथिला राज्यक लेल धरना

मिथिला राज्य संघर्ष समितिक तरफ सऽ बीतल काल्हि दरभंगा मेँ कुशेश्वरस्थान मेँ खगड़िया धर्मशाला प्रांगण मेँ धरना देल गेल।आयोजित सभा के संबोधित करैत अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषदक संस्थापक अध्यक्ष डा॰ धनाकर ठाकुर कहलैथ जे मिथिला राज्य बनलाक बाद एहि क्षेत्रक संपूर्ण विकास संभव अछि।डा॰ ठाकुर मिथिला राज्यक मांग के न्यायोचित बतैलथ।वक्ता लोकनि मधुबनी घटना पर प्रदेश सरकार के आलोचना करैत कहलैथ जे निष्पक्ष जांच होयबाक चाही।सभा के पी के झा,चन्द्रभूषण पासवान,जयप्रकाश पासवान,विमला देवी,जीवछी देवी आदि संबोधित केलैथ।

एम्हर अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद, दरभंगा के जिला इकाई के तत्वावधान मेँ मनोकामना मंदिर परिसर मेँ बैसारक आयोजन कैल गेल।बैसार के संबोधित करैत AMP केर जिला सचिव,राजीव कहलैथ जे मिथिलाक मांग कोनो नव नहिँ अछि,मिथिलावासी के चिरप्रतीक्षित मांग अछि,पृथक मिथिला राज्य!ओ मधुबनी कांड के घोर निंदा करैत कहलैथ जे बिहार सरकार के मृतक परिवार के मुआवजाक संग एक गोटो के सरकारी नौकरी देबाक चाही।एहि बैसार मेँ मुकुन्द झा,टेकनाथ झा,आदित्य झा,बबलू यादव संगे बहुतो लोक उपस्थित छलैथ।

3 comments: