Wednesday, October 17, 2012

आइजी कऽ सकैत छैथ एडीजी पद सऽ परहेज

मिथिलाक लोकसभक दर्द सुनय बला आइजी राकेश कुमार मिश्राक के एकाएक एडीजी मेँ प्रोन्नति कऽ तबादला कऽ देला सऽ लोक सभ मेँ मायूसी अछि।गरीब सऽ गरीब लोक के भरोसा रहैत छल जे श्री मिश्रा लग जायब तऽ न्याय जरुर भेटत।आईजी के सामने कुर्सी पर बैसय के कल्पना सऽ दूर जखन लोक कक्ष मेँ पहुँचैत छलैथ तऽ हुनक पहिल संदेश होयत छलन "आउ कुर्सी पर बैसू,की कष्ट अय"।पीड़ितक बात सुनि के ओ संबंधित अधिकारी के र्निदेश दैत छलखिन।एतबै नहिँ ओ कहैत छलकिन जे"कारवाई नहिँ होयत तऽ एक बेर फेर भेँट कय लेब"।किशनगंज सऽ बेगूसराय सऽ मधुबनी जिला धरि एहन कोनो गाम नहिँ अछि जतय के लोक लग आइजी के फोन नंबर नहिँ हो।दिन या राति, कखनो लोक अपन फरियाद सुना दैत छलैथ आ श्री मिश्रा तखने संबंधित पदाधिकारी के र्निदेश दऽ दैत छलखिन।

आइजी आरके मिश्रा प्रोन्नति पाबि तऽ खुश छैथ मुदा मधुबनी केर तत्कालीन डीपीओ के संबंधी होयबाक चर्चा से ओतबै दुखी।भऽ सकैत अछि जे एहि आरोपक बोझ सऽ परेशान भऽ ओ एडीजी पद पर योगदान नहिँ दैथ।

एम्हर बीजेपी केर विधायक आ लोक उपक्रमसमिति केर अध्यक्ष विजय कुमार मिश्र सरकार से मांग कयलथ हँ जे मधुबनी कांडकऽ लऽ जे भी पदाधिकारी के तबादला
कैल गेलन हँ हुनका सभ के ओहि पद पर पदस्थापित कैल जाय।ऐना नहिँ होयबा सऽ ओहि अधिकारी के मनोबल खसत आ भऽ सकैत छैक जे हुनक कार्यक्षमता प्रभावित होय।

तबादला,प्रोन्नति आ आरोप आदि के संबंध मेँ जखन श्री मिश्रा से फोन कऽ पूछय के प्रयास कैल गेल तखन ओ सत्यमेव जयते कहि कऽ फोन काटि देलैथ।

दरभंगा प्रक्षेत्रक लोक आइजी केर तबादला सऽ बहुत दुखी छैथ आ कहैत छैथ जे एहन नेक दिल लोक शायदे फेर आइजी केर रुप मेँ दरभंगा प्रक्षेत्र केर लोक के भेटत ?

0 comments:

Post a Comment