Tuesday, October 30, 2012

बढ़त रेलक भाड़ा

जी हँ,ठीके पढ़लौ,लगभगि 16 बरखक बाद रेल मंत्रालय पूर्ण रुपे क्रांगेस मेँ आबैत देरी रेल भाड़ा मेँ वृद्धि के तैयारी शुरु भऽ गेल हँ।नबका रेल मंत्री पवन कुमार बंसल कहलैथ हं जे यात्री सुविधा के बढ़िया बनयबा लेल रेल भाड़ा बढ़ेनाय अनिवार्य अछि।

एम्हर नव पेट्रोलियम मंत्री वीरप्पा मोइली सेहो इशारा केलैथ हं जे चरणबद्ध तरीका सऽ डीजल,पेट्रोल,केरोसिन तेल आ रसोइ गैस पर देल जा रहल सब्सिडी वापस लेल जाओत।इ साफ अछि जे महंगाई के मारि झेलैत जनता के एकटा और झटका लागि सकैत अछि।

0 comments:

Post a Comment