Tuesday, October 30, 2012

ट्रेनक मार्ग बढ़यबाक मांग

खगड़िया : पूर्वोत्तर बिहार रेल उपभोक्ता संघर्ष समितिक केंद्रीय संयोजक सुभाषचंद्र जोशी पूर्व मध्य रेल हाजीपुर केर प्रबंधक के पत्र लिखि समस्तीपुर से बरौनी के बीच चलय वला सभटा ट्रेन के मानसी वा कटिहार धरि चलाबय लेल आग्रह केलैथ हँ।ओ मोकामा से बरौनी धरि चलय वला सभटा ट्रेनक परिचालन क्षेत्र बढ़ाकऽ दरभंगा धरि करबाक मांग कयलथ हँ।एकरा अलावा हाजीपुर से बरौनी धरि चलय वला सभटा ट्रेनक परिचालन क्षेत्र बढ़ाकऽ मानसी वा कटिहार धरि करय के मांग कयलथ हं।श्री जोशीक कहब अछि जे है छोट स्टेशन सभक यात्री के यात्रा करय हेतु 24 घंटे में एकटा से दूटा ट्रेन मात्रे अछि।एहि ट्रेन सभक मार्ग विस्तार करला से रेलवे के राजस्व में वृद्धिक संग-संग आम यात्री के सुविधा होयत।

0 comments:

Post a Comment