सीतामढ़ी : बिहार नव निर्माण समिति के बैसार भवदेपुर में बीतल काल्हि सूर्यकांत प्रसाद केर अध्यक्षता में भेल।बैसार में केन्द्रीय अध्यक्ष शत्रुध्न साहू बैरगनिया से घोड़ासहन धरि आमान परिर्वतनक काज पूरा भऽ जयबाक बादो ट्रेन नहीं चलाबय लेल रेलवे के उदासीनता बतौलैथ।ट्रेन नहीं चलय सऽ सीतामढ़ी, शिवहर आ चंपारण के लोककेँ आवागमन की परेशानी होइत अछि।बैसार में रेल मंत्री आ पूर्व मध्य रेलवे के महाप्रबंधक सऽ शीघ्र ट्रेन चलाबय मांग कैल गेल।सीतामढ़ी से बैरगनिया धरि ट्रेन चलाबाक लेल सामाजिक कार्यकर्ता जटाशंकर आत्रेयक आंदोलनक चर्चा करैत बताओल गेल जे जौँ जल्द ट्रेनक परिचालन नहिँ शुरु भेल,तऽ जनआंदोलन चलाओल जायत।मौका पर श्रीनारायण प्रसाद,वीर प्रसाद साह,भवेश शर्राफ,अवधेश गिरी, राम नरेश गुप्ता आदि उपस्थित छलैथ।
0 comments:
Post a Comment