Monday, October 29, 2012

नवतुरिया लोकनिं के संगठित भ’क’ वहए मिथिला राज्य के पुनः प्राप्त करबाक चाही


मधेपुर कओलेज परिसर में अंतरराष्ट्रीए मैथिली परिषद केर तत्वावधान में आयोजित भेल चारदीना मैथिली कार्यकर्ता प्रशिक्षण शिविर रविदिन के समाप्त भेल। समापन समारोह में अठारह प्रशिक्षु लोकनि के प्रमाण पत्र थमाओल गेल। समारोह के संबोधित करैत अंतरराष्ट्रीए मैथिली परिषदक केन्द्रीय अध्यक्ष डा. कमलाकांत झा कहलाह की नवतुरिया लोकनिं के संगठित भ’क’ वहए मिथिला राज्य के पुनः प्राप्त करबाक चाही जेकी अंग्रेज लोकनिं भंग कए देने छलाह। परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा. धनाकर ठाकुर मिथिलाक प्रगति में युवा वर्गक भूमिका आ मैथिलीक अस्तित्व आ मिथिलाक समस्या पर विस्तार में प्रकाश गेलाह। आयोजित समारोह के डा. उमेश ठाकुर, महेन्द्र मिश्र, अशोक कुमार सहनी सहित आन लोकनि सेहो संबोधित कएलाह।

एकरा अलाबा एकटा आर शिबीर झंझारपुरमें सेहो आयोजित कएल गेल।

0 comments:

Post a Comment