कोलकाता/नई दिल्ली : साहित्य अकादमी केर मैथिली प्रतिनिधि के रुप मेँ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के स्नातकोत्तर मैथिली विभागाध्यक्ष डा॰ वीणा ठाकुर मनोनीत भेली हँ।अकादमी केर जेनरल काउंसिल के कोलकाता मेँ भेल बैसार मेँ डा॰ ठाकुर के नाम पर सहमति बनल हं मुदा अखन धरि एकर आधिकारिक घोषणा नहिँ भेल हँ।इ खबर आबैत देर मैथिली साहित्य जगत मेँ प्रसन्नता अछि।जखन एहि संबंध मेँ डा॰ ठाकुर से पूछल गेल तखन ओ कहलैथ जे हमरा एकर विधिवत सूचना नहिँ अछि।वर्तमान मैथिली प्रतिनिधि डा॰ विद्यानाथ झा विदित के कार्यकाल 13 जनवरी 2013 के खत्म होएत ओकरा बाद डा॰ ठाकुर के कार्यकाल शुरु होएत।डा॰ ठाकुर सहरसा जिला मेँ विद्यालीय शिक्षा पूरा केलाक बाद दरभंगा के लनामिवि से बीए आ एमए करलाक बाद 1977 सऽ प्राध्यापिकाक पद पर कार्यरित छथि।1985 मेँ डाक्टरेट के उपाधि पाबय वाली डा॰ ठाकुर वर्ष 2008 सऽ साहित्य अकादमी के मैथिली परामर्शदात्री समितिक सदस्या आछि।साहित्य अकादमी के कार्यकारिणी समिति के आगामी 6 नवंबर के होमय बला बैसार मेँ विभिन्न भाषाक प्रतिनिधि के नामक आधिकारिक घोषणा कैल जाएत।
0 comments:
Post a Comment