मुजफ्फरपुर : कहल तऽ इ जाइत अछि जे मिथिलाक पान आ मखान तऽ स्वर्ग मेँ सेहो नहिँ भेटैत छैक,ओ तऽ सिर्फ मिथिला मेँ भेटैत अछि।मिथिलाक विश्व प्रसिद्ध मखानक सर्वाधिक खर्चा कोजगरा मेँ होइत अछि।एहि लोकपर्व मेँ नवविवाहित कन्याक पक्ष से दुल्हा पक्ष केर मखान भेजल जाइत अछि आ दुल्हा पक्ष मोन भरि के मखान बांटैत छैथ।मैथिल समाज मेँ इ परंपरा बहुत पुरान अछि।मखानक उपयोग संपन्न घर सभ मेँ शाही भोज मेँ होइत अछि।मखानक कुल उत्पादनक लगभगि 60% दरभंगा आ मधुबनी मेँ और लगभग 94% भारतीय आ नेपालक मिथिला क्षेत्र मेँ होइत अछि मुदा स्थानीय स्तर पर एकर खपत लगभगि 25% से 30% मात्रे रहबाक कारणे अन्य राज्य मेँ भेजला पर व्यापारी लोकनि केनीक फायदा होइत अछि।
अखन कोजगराक कारण दरभंगा,बरौनी,मुजफ्फरपुर के मंडी मेँ मखानक जबरदस्त बिक्री चलि रहल अछि।एहि पावनि के लऽ मुजफ्फरपुर,दरभंगा,कटिहार सऽ खेपक खेप मखान कानपुर,गोरखपुर,लखनऊ केर संगे दिल्ली,राजस्थान,महाराष्ट्र आदि राज्य धरि ट्रेन आ ट्रकक माध्यमे भेजल जा रहल अछि।उपज कम होयबाक कारणे साधारण मखानक दाम 325 रुपये प्रतिकिलो आ फूल मखानक दाम 500 रुपये प्रतिकिलो अछि।मुजफ्फरपुर आ दरभंगा से अन्य राज्य मेँ मखान भेजबाक
कारणे मखानक उत्पादक क्षेत्र सहरसा,मधुबनी,पूर्णिया,सुपौल आदि से मखान एतय पहुंच रहल अछि।

0 comments:
Post a Comment