Sunday, October 28, 2012

मैथिली मेँ प्राथमिक शिक्षाक लेल सशक्त आंदोलनक जरुरत : धनाकर ठाकुर

फुलपरास(मधुबनी) : मिथिला राज्य जनजागरण अभियानक अंर्तगत लोकसभक आकर्षण के आंदोलन में बदलबाक उद्येश्य से अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा॰ धनाकर ठाकुर बीतल काल्हि प्रखंड केर फुलपरास,ब्रह्मपुरा,डेवढ़ आदि गामक भ्रमण केलैथ।हुनका संग उमेश कर्ण संगे औरौ लोक छलैथ।डेवढ़ गाम में वयोवृद्ध साहित्यकार जीवकांत मिश्र से सेहो इ सभ भेँट कऽ आंदोलन केर रूपरेखा पर चर्चा केलैथ।प्रेस विज्ञप्ति मेँ अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के राष्ट्रीय अध्यक्ष डा॰ ठाकुर कहलैथ जे राष्ट्रीय राजमार्ग 57 केर बनलाक बाद से दू भाग में विभक्त मिथिला केर भूभाग फेर से एक भऽ गेल हँ।लोकक बीच व्यवहारिक आ व्यापारिक आदान प्रदानक सिलसिला फेर से चालू भऽ गेल हँ,जाहि से मिथिलाक परिक्षेत्र में वृद्धि कहनाय अतिशयोक्ति नहीं मानल जा सकैत अछि।मैथिलीक उपेक्षाक चर्चा करैत डा॰ ठाकुर कहलैथ जे राजनेता केर इच्छाशक्ति मेँ अभावक कारणे एहन भऽ रहल अछि।संवैधानिक दर्जा भेटलाक बावजूद प्राथमिक शिक्षा धरि में मैथिली के उचित स्थान नहीं भेट सकल हँ जेकरा लेल एकटा सशक्त आदोलन केर आवश्यकता अछि,आ इ आंदोलन बहुत जल्द होएत।

0 comments:

Post a Comment