मधुबनी जिलासँ प्रेमिका साथे फरार भेल छात्र दिल्लीमें आपन मातृभाषा मैथिलीमें बात करएक कारण शक केर दायरामें आएल आ धड़ा गेल।
उल्लेखनीए अछि की दिल्लीक महरौली क्षेत्रमें चायक दुकान पर लग केर गामक एकटा आदमी मैथिलीमें गप्प करएक कारण हुनका लग गेलन्हिं आ नाम-गाम पुछलन्हिं। लड़िकाक नाम प्रशात सुनैते ओकरा शक भेलै आ उ पुलिस बजा देलकै।
पूछताछमें दुनू जनओलाह की सात सितंबरके मधुबनीसँ गायब भेलाक बाद उ दुनू वहए दिन साँझ चारि बजे राची चलि गेल छलाह। ओतएसँ जम्मू आ तेकरा बाद दार्जिलिंग।
प्रशांतक वयस 17 साल छै आ लड़की नबालिग छै। दुनू १०म कक्षाक छात्र छथिं।
आब सओ टकाक सवास इ छै की जेहिं लाशक दाह-संस्कार प्रशांतक लाश बुझि कए कएलगेल, उ लाश केकर छल?
की इ सभ वेल-प्लान्ड-ड्रामा छल?
आ उ दुनू छात्रक मृत्यूक भागी के, जेकर पुलीसक गोलीसँ मैत भऽ गेल?
0 comments:
Post a Comment