बिहार सऽ दोसर राज्य सभ मेँ हवाई सफर करय बला लोक आब राज्य मेँ एक शहर सऽ दोसर शहर मेँ सेहो हवाई यात्रा कऽ सकता।एयर टैक्सी से घंटाक दूरी मिनट भरि मेँ तय होयत।राज्य मेँ बढ़ि रहल हवाई यात्री आ पर्यटक के बढ़ैत संख्या के दैखैत डीटीडीसी ट्रेवल एंड टूर प्लानर लिमिटेड,स्पिरिट एयरक सहयोग सऽ पूर्णिया-कोलकाता आ पूर्णिया-पटनाके बीच एयर टैक्सी चलाबय के निर्णय लेलक हँ।इ सप्ताह मेँ दू दिन चलत आ नान शिड्यूल रहत।यात्री के जरुरत अनुसार एकर सेवा भेटत।पहिले जमशेदपुर-पटना के बीच चार्टर फ्लाइट शुरु कैल गेल छल,मुदा इ बेसी दिन नहिँ चलि सकल छल।
कोलकाता-पूर्णिया आ पूर्णिया-पटना केबीच शुरु होयबला चार्टर फ्लाइट नौ सीटक रहत।एकरा चलाबय लेल डीटीडीसी स्पिरिट एयर सऽ फ्लाइट हायर केलक हँ।एकर भाड़ा एखन तय नहिँ अछि।कोलकाता-पूर्णिया आ पूर्णिया-पटना आबय जाय बला यात्री के हुनक घर तक पहुंचाबय लेल डीटीडीसी कैब केर व्यवस्था होयत।घर से आनय लेल वा घर पहुंचाबय लेल यात्री केर टिकटे कटाबय समय पाय दियऽ पड़तन।
डीटीडीसी ट्रेवल एंड टूर के सेल्स मैनेजर श्यामल चक्रवर्ती केर कहब छन जे नवंबर के पहिल सप्ताह सऽ कोलकाता-पूर्णिया आ पूर्णिया-पटना के बीच चार्टर फ्लाइट शुरु कैल जायत।अखन एकर सेवा कोलकाता-जमशेदपुर आ कोलकाता-बोकारो के बीच भेटि रहल अछि।कोलकाता सऽ पूर्णिया आबय मेँ लागत एक घंटा 15 मिनट आ पूर्णिया सऽ पटना आबय मेँ 50 मिनट लागत।
पूर्णिया एयरपोर्ट सऽ कटिहार,किशनगंज,अररिया,जोगबनी,विराटनगर(नेपाल),रायगंज(पश्चिम बंगाल)के लेल रहत कैबक व्यवस्था।एकरा लेल अतिरिक्त शुल्क देबय पड़त।

0 comments:
Post a Comment