Friday, October 19, 2012

भागलपुर-हंसडीहा के बीच जल्द चलत ट्रेन

भागलपुर सऽ हंसडीहा के बीच चलय वला ट्रेन 6 टा कोच आ दू टा एसएलआर बोगीक संग चलत।दू टा कोच आ एक एसएलआर बोगी भागलपुर पहुंच गेल हँ।मालदा रेल मंडल सऽ आदेश भेटैत देरी भागलपुर-हंसडीहा के बीच ट्रेनक परिचालन शुरू भऽ जाएत।बता दी जे भागलपुर-मंदारहिल ट्रेनक विस्तार हंसडीहा तक कैल गेल हँ।उक्त ट्रेनक रखरखाव सप्ताह में मात्र एक्के दिन कैल जाओत।

भागलपुर-हंसडीहा लाइन बनि कऽ तैयार अछि।मुख्य संरक्षा आयुक्त ट्रेनक परिचालन की हरियर झंडी दऽ देलैथ हँ।60 किलोमीटर प्रति घंटाक रफ्तार सऽ ट्रेनक परिचालन के निर्देश देल गेलहँ।भागलपुर सऽ मंदारहिल के बीच तीन बेर चारि टा कोच आ एक टा एसएलआर बोगी लागल ट्रेनक परिचालन भऽ रहल अछि।दू टाकोच आ एसएलआर बोगी भागलपुर यार्ड में ठाढ़ अछि।मुख्यालय सऽ आदेश भेटैत देरी ट्रेनक परिचालन शुरू भऽ जायत।भागलपुरसे मंदारहिल कऽ लेल भोर चारि बजे, 9.35 बजे आ सांझ 6.30 बजे ट्रेन चलाओल जा रहल अछि।एहि ट्रेनक विस्तार दू टा कोच आ एक टा एसएलआर बोगीक संग हंसडीहा तक कैल जाओत। भागलपुर सऽ हसडीहा कऽ लेल भोर चारि बजे आ सांझ 6.30 बजे ट्रेन खुजत। इ ट्रेन में बाथरूम आ पइनक व्यवस्था नहिँ रहत। बतादी जे भागलपुर-हंसडीहा आ भागलपुर-बांका केर बीच चलय वला ट्रेन विलंब सऽ नहिँ चलय ताहि लेल धौनी, टेकानी आ बाराहाट में स्टेशन केर निर्माण पहिने सऽ पूरा कऽ लेल गेल हँ।एतय तीन लाइन केर निर्माण कराओल गेल हँ।एहि स्टेशन सभ पर पहिल बेर 90 किलो पटरी बिछाओल गेल हँ।

0 comments:

Post a Comment