किशनगंज : देशक अल्पसंख्यक लोकनिं में शिक्षाक स्तर बढ़ाबए लेल केंद्रीय अल्पसंख्यक मंत्रालय देशमें तीनटा नव विश्वविद्यालय खोलत। ओहिंमे सँ एकटा किशनगंज जिलामें सेहो रहत। रफी अहमद किदवई हेल्थ आ मेडिकल साइंस विवि केर नाम राखल जाएत।
एकरा अलावा दोसर विश्वविद्यालय बंगलुरु (कर्नाटक) में टीपू सुल्तानक नाम सँ आ अजमेर (राजस्थान) में ख्वाजा गरीब नवाजक नाम सँ होएत।
एकरा लेल सौ एकड़ भूमिक चयन केर जिम्मेदारी केंद्रीय अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री के. रहमान खां सांसद मौलाना अशरारुल हक कासमीके देलाह अछि। एकरा विषयमें सांसद केर मीडिया प्रभारी प्रो. शफी अहमद जनओलाह की उक्त विवि में दाखिला लेल जोलाहा (मुसलमान) लोकनिंके प्रधानता देल जाओत।
0 comments:
Post a Comment