नगर विकास मंत्री डा. प्रेम कुमार 143 बरस पुरान नगर निकाय हाजीपुर शहरक विकास लेल प्रतिबद्धता जतओलाह अछि। नगर विकास लेल जरुरी आधारभूत संरचनाके चुस्त-दुरुस्त बनाबए लेल आवश्यकताक अनुरुप राशि उपलब्ध कराबएक ठोस अश्वासन सेहो देलाह अछि। अगिला वित्तिय बरसक दिसंबर मास धरि वैशाली जिलाक सभटा गांमके शुद्ध पियेक पानि उपलब्ध कराबएक दिलासा देलाह अछि।
ओ जनओलाह की बिहारमें 11टा नगर निगम, 42टा नगर पालिका के अलाबा बुद्ध सर्किट सँ जुड़ल बोधगया आ राजगीर लेल सेहो मास्टर प्लान बनाओल जा रहल अछि। ओ जनाओलाह की सभटा शहरमें हाजीपुरके प्राथमिकता-सूचीमें सभसँ उपर राखल गेल अछि।
एहिं सँ पहिनए अप्रीलमें डॉ॰ कुमार कहने छलाह की हाजीपुर लेल (बीस-पचीस सालक) दीर्घकालीन "नगर विकास" प्लान बनाओल गेल अछि।
0 comments:
Post a Comment