सहरसा : बटोही संस्था द्वारा आगामी सात-आठ नवंबर के स्थानीय नगर भवन में 'कोसी अंतर्राष्ट्रीय साहित्योसव' कऽ आयोजन कैल जाओत।एहि महोत्सव में नेपाल,बांग्लादेश, असम,बंगालक अलावा स्थानीय कलाकारक द्वारा नृत्य,संगीत आ नाटकक प्रस्तुत कैल जाओत।संयोजक प्रो॰ ओमप्रकाश भारती बतौलैथ जे सांस्कृतिक कार्यक्रमक अलावा कवि सम्मेलन,संगोष्ठी,परिचर्चा आ कोसी अंचलक साहित्यकार सभ पर केन्द्रित पुस्तक वचित्र प्रदर्शनीक आयोजित कैल जाओत।एहि मौका पर प्रसिद्ध साहित्यकार विभूति नारायण सिंह के भारत-नेपाल मैत्री के समृद्ध करय लेल 'फनीश्वर नाथ रेणु सम्मान',नेपाल के प्रो. सूर्यकांत गोप के संगीतक क्षेत्र में विशिष्ट योगदानक लेल 'साहित्य सम्मान' आ बांग्लादेशक मो. आरिफुर्र रहमान के भारत-बांग्लादेश मैत्री संबंध मजबूत करय लेल 'कला मित्र' सम्मान प्रदान कैल जाओत।एकरा संगे समाज सेवाक क्षेत्र में तारकेश्वर प्रसाद सिंह, संगीतक क्षेत्र में प्रो. योगेन्द्र नारायण यादव आ लोक विज्ञानक क्षेत्र में पद्मश्री रामप्रसाद चौधरी के विशिष्ट योगदानक लेल 'कोसी रत्न' सम्मान से सम्मानित कैल जाओत।
0 comments:
Post a Comment