दरभंगा/मधुबनी : देश आ दुनियाक लेल भले ही मैथिली आ हिँदी केर जनकवि यात्री नागार्जुन विख्यात होइथ आ हुनक पुण्यतिथि पर बहुतो ठाम कार्यक्रमक आयोजन कऽ हुनका याद कैल गेल हो मुदा हुनक पैतृक प्रखण्ड मेँ एहि तरहक कोनो टा आयोजन नहिँ देखल गेल।बाबा के नाम पर भले बहुतो संगठन आ संस्था क्षेत्र मेँ काजकऽ रहल होइ मुदा संस्था सभ के सेहो बाबाक मोन पाड़य के फुरसत नहिँ भेल।की पता ओ संगठन के इ पता हो जे काल्हि बाबाक पुण्यतिथि छल।क्षेत्रक इ संवेदन शून्यता पछिला बरख बाबाक सौँवम जयंती पर हुनक गाम तरौनी पहुंचल प्रसिद्ध आलोचक विश्वनाथ तिवारी जीक इ बात बेर-बेर याद आबि जाइत अछि जे "बाबा भले देश विदेश मेँ जाने जाते हैँ,पर आज भी वे तरौनी के लिये ठकुर मिसर ही हैँ।" बता दी जे जाहि तरौनी गाम मेँ बाबा के बिसरा देल गेल ओकरे याद मेँ हुनक ह्रदय मेँ बराबर हिलकोर लैत रहल छल।यैह याद "याद आता है मुझे अपना वह तरौनी गांव" पांतिक माध्यमेँ सोझा आयल छल।
एम्हर मधुबनीक रहिका मेँ साहित्यिक आ सांस्कृतिक संस्था सरोकार केर मासिक गोष्ठी मेँ बाबा नार्गाजुन , बैद्यनाथ मिश्र यात्री के पुण्यतिथि सतलखा गामक चंद्रसेनपुर मेँ संयोजक उदयचंद्र झा विनोदक नेतृत्व मेँ मनाओल गेल।एहि अवसर पर उदयचंद्र झा विनोद बाबाक प्रतिमा पर माल्यार्पण करैत कहलैथ जे बाबा मिथिलाक टा नहिँ पूरा प्रगतिशील भारतीय चेतनाक प्रतीक छलैथ।एहि मौका पर देव नारायण मिश्र,परमानंद,नीलांबर,नरेँद्र झाक संगे बहुतो लोक उपस्थित छलैथ!

0 comments:
Post a Comment