बेगूसराय : ईश्वरक साक्षात दर्शन कल्पवास मेला सिमरिया में होइत अछि।मिथिलाक धरती आध्यात्मिक आ गौरवशाली अछि।इ बात बीतल काल्हि सिमरियाक गंगा तट पर खालसा जनसेवा समिति कार्यालयक विधिवत उद्घाटन करैत अपर पुलिस महानिदेशक राकेश कुमार मिश्रा कहलैथ।ओ कहलैथ जे कार्तिक मास में कल्पवास करय से भगवानक प्रति लगाव बढैत अछि।एहि धरतीक आध्यात्मिक आ सामाजिक महत्व है।आरके मिश्रा कहलैथ जे साधु-संत नि:स्वार्थ भाव से समाज के जोड़य के काज करैत अछि एहि लेल सभ संत- महंत पूज्य छैथ। एहि अवसर पर मुख्य अतिथि प्रो. जयशंकर झा मिथिलाक महत्वक चर्चा केलैथ।सभाक अध्यक्षता खालसा जनसेवा समितिक अध्यक्ष विष्णुदेवाचार्य केलैथ।मंच संचालन महामंत्री वैष्णवदास रामायणी केलैथ।मौका पर अमृता मिश्रा, खालसा जनसेवा समितिक उपाध्यक्ष श्यामदास जी महाराज, राजाराम दास, मंत्री राजेश्वर दास, परमानन्द दास, अवध किशोर दास, रामउदित दास, मौनी बाबा, रविन्द्र जी ब्रह्माचारी, बौआ हनुमान दास, गदाधर दास, श्याम सुंदर दास, अजय कुमार पांडेय आदि उपस्थित छलैथ।
0 comments:
Post a Comment