Wednesday, November 7, 2012

हवाई-जहाज धरू, कोलकता चलू


चितप्रतीक्षित कोलकाता-पूर्णिञां आ पटना-पुर्णिञां केर बीच हवाईसफर आइ शुरू भ’ गेल। बेंगलुरूक विमान सेवा कम्पनी स्पिरिट एयरलाइंस डीटीडीएस केर सहयोग सँ एहिं सेवाक शुरुआत कएलक अछि। आइ नौ टा राही केर क्षमता बला ग्रएण्ड सेसना कैरावन विमान कोलकता सँ पूर्णिञां पहुंचल।

डीटीडीएस केर प्रबंधक (बिक्री) श्यामल चक्रवर्ती जनओलाह की स्पिरिट एयरलाइंस टिकट बुकिंग आ प्रबंधन लेल मार्केटिंगक भार डीटीडीएस के देलक अछि। ओ जनओलाह की मंगल सँ कोलकता-पूर्णिया-पटना मार्ग पर कम्पनीक विमान सेवा विधिवत शुरू भ’ गेल।

श्री चक्रवर्ती जनओलाह की एखन एहिं मार्ग पर विमान सेवा हफ्ता में दू दिन मंगल आ शनि के उपलब्ध होएत। मुदा, भविष्यमें उड़ानक आवृत्ति बढ़ओल जा सकैत अछि।

कोलकता-पूर्णिञां लेल एकटा राहीक भरा अछि ₹ 3,995
पटना-पूर्णिया लेल एकटा राहीक भरा अछि ₹ 3,995

0 comments:

Post a Comment