Friday, November 9, 2012

मिथिला विभूति पर्व समारोह 26 से

दरभंगा : मिथिला विभूति पर्व समारोह आगामी 26 नवंबर से होएत।त्रिदिवसीय एहि समारोहक बीच कवि सम्मेलन,सेमिनार,गीत-संगीत संगे बहुतो कार्यक्रम होएत।इ जानकारी विद्यापति सेवा संस्थानक निदेशक डा॰ बैद्यनाथ चौधरी बैजू देलैथ।डा॰ चौधरी बतौलैथ जे कार्यक्रमक तैयारी शुरु भऽ गेल अछि।

त्रिदिवसीय एहि आयोजनक उद्घाटन पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रा करता आ बिहार सरकार मंत्री अश्विनी कुमार चौबै,सांसद कीर्ति झा आजाद,महेश्वर हजारी,हुकुमदेव नारायण यादव,विधायक अमरनाथ गामी,संजय सरावगी,विधान परिषद्क सदस्य डा॰ विनोद चौधरी आदि कार्यक्रम मेँ उपस्थित रहता।डा॰ बैजू बतौलैथ जे नीतीश कुमार आ सुशील मोदी आदि के सेहो आमंत्रण पत्र भेज देल गेल अछि।कार्यक्रमक दौरान छौ टा लोक के मिथिला विभूति सम्मान देल जाओत।एहि मेँ दरबारी दास मरणोपरांत,डा॰ किशोर नाथ दास,रमाकांत राय रमा,प्रो॰ शिवाकांत पाठक,डा॰ मोहन मिश्र आ मिथिला आवाज ग्रुपक प्रमुख डा॰ चंद्रमोहन झा शामिल छैथ।कवि गोष्ठीक प्रभारी अमलेँदु शेखर पाठक आ सेमिनारक संयोजक मणिकांत मिश्र के बनाओल गेल।सांस्कृतिक प्रभारी मैथिली अकादमी केर अध्यक्ष कमलाकांत झा हेता।गठित स्वागत समितिक मुख्य संरक्षक डा॰ सीपी ठाकुर,संरक्षक एडीजे आरके मिश्र,संस्कृत विविक कुलपति डा॰ अरविँद पाण्डेय,स्वागताध्यक्ष­ डा॰ एसपी सिँह,कार्यकारी स्वागताध्यक्ष डा॰ ध्रुव कुमार,महासचिव संजीव झा,सचिव जीवकांत मिश्र,कोषाध्यक्ष डा॰ बैद्यनाथ झा बनाओल गेल।कवि गोष्ठीक प्रभारी अमलेँदु शेखर पाठक बतौलैथ जे कार्यक्रम मेँ प्रदेश आ बाहरी स्तरीय कवि केर पैघ सहभागित रहत।

0 comments:

Post a Comment