बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दावा कएलाह अछि की भागलपुर जिलाक गाम सभटा बिजली सँ जगमग होएत। जिलाक चारि टा प्रखंड नाथनगर, गोपालपुर, खरीक आ इस्माइलपुर आ घोघा पंचायतमें 33/11 के॰वी॰ए॰ क्षमताक विद्युत उप केंद्र बनत। एकर निर्माण लेल सरकारी जमीन सेहो भेंट गेल अछि। उप केंद्रक निर्माण कार्य अगिला बरस शुरू होएत। एक टा उप केंद्रक निर्माण पर औसतन डेढ़ करोड़ टका खरच होएत। उप केंद्र सभमें २-३ पावर ट्रांसफार्मर आ ब्रेकर लागत। टोला-टोला धरिं बिजली पहुंचाबए लेल विद्युत उप केंद्र सभमें अलग-अलग फीडरक निर्माण सेहो होएत। फीडरक निर्माण आबादी आ मांग केर हिसाब सँ होएत।
नवगछिया उपजिलाक तीनों प्रखंडमें जे नव विद्युत उप केंद्र बनत, ओहिंमें बिजलीक सप्लाई नवगछिया पावर ग्रिड सँ होएत। प्रमंडल आयुक्त मु. मिन्हाज आलम जनओलाह, जिला सँ विद्युत उप केंद्र सभक निर्माण केर प्रस्ताव राजस्व विभाग (पटना) भेज देल गेल अछि। राजस्व विभागक स्तर सँ सरकारी भूमिक हस्तांतरण बिजली बोर्ड (बिहार राज्य होल्िडग पावर कंपनी लिमिटेड) के कएल जाएत। उप केंद्रक निर्माण बिजली विभाग के करए पड़तनि।
उल्लेखनिए अछि की किछ दिन पहिनएं मुख्यमंत्री विद्युत आपूर्तिक समस्या के गंभीर मानैत कहने छलाह , 2015 धरि बिहारमें बिजली संकटक समाधान कए लेल जाएत। जँ आपूर्तिमें सुधार नञिं भेल तें ओ वोट मांगए नञीं अओताह। एहिंलेल विभाग आ सरकार प्राथमिकताक आधार पर एहिं प्रखंड सभमें 2015 सँ पहिनएं विद्युत उप केंद्रक निर्माण कार्य पूरा करए लेल तत्पर अछि।
0 comments:
Post a Comment