दरभंगा / पटना : 1 दिसंबर सऽ शुरु होबय वला मिथिला लोक उत्सवक दिनांक पूर्व प्रधामनंत्री इंद्र कुमार गुजरालक निधन केर कारण 3 दिसंबर तक बढ़ल अछि।आब इ कार्यक्रम 3 सऽ 5 दिँसबर धरि होएत।एहि उत्सव मेँ लोकगीत,लोक संगीत,लोकनृत्य मेँ ग्रामीण सांस्कृतिक झलक भेटत तऽ ग्रुप डांस,फिल्म संगीत,कत्थक नृत्य,भाव नृत्य आदिक दर्शन कराओत।
जिला प्रशासन द्वारा संचालित एहि उत्सवक कार्ड हिँदी आ अंग्रेजी मेँ वितरित करय सऽ हायाघाटक विधायक अमरनाथ गामी बहुत दु:खी आ क्षुब्ध छैथ।एहि वास्ते अमरनाथ गामी राज्यक पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिँटू केँ चिट्टी लिखैत कहला जे मिथिला लोक उत्सव मेँ मैथिली भाषाक बदले हिँदी आ अंग्रेजी मेँ कार्ड छपेबाक कोन औचित्य ? मिथिला वासी के एहि बातक क्षोभ छन। विधायक अमयनाथ गामी मिथिला लोक उत्सव मेँ बाहरी कलाकारक बदले स्थानीय कलाकार केँ मौका देबाक अनुरोध सेहो केलैथ हँ।

0 comments:
Post a Comment