18 अगस्त, 2008 केँ कोसी नदीक तटबंध टूटला सऽ आयल प्रलंयकारी बाढ़िक बाद राज्य सरकार बिहार कोसी फल्ड रिकवरी प्रोजेक्ट गठन कयने छल। एहि के अंर्तगत क्षतिग्रस्त सड़क केर निर्माण, कोसी बेसिन मेँ बाढ़ि प्रबंधन, आबय वला समय मेँ तबाही सऽ बचय केर उपाय करबाक अछि। एहि काज के पूरा करय लेल सबसे पहिले मास्टर प्लान तैयार कैल जाओत। एकरा लेल निविदा आमंत्रित कैल गेल हँ। प्रोजेक्ट पर 1398 करोड़ रुपया खर्च होएत। एहि मे विश्व बैँक दिस सऽ 1188 करोड़ रुपयाक सहायता राशि भेटत। खर्च राशिक 27% हाउसिंग, 25% सड़क, 14% बाढ़ि प्रबंधन, उपयोगी सेवा मेँ 20% आ अन्य काज मेँ 14% राशि खर्च कैल जाओत। मास्टर प्लान तैयार करबाक लेल विभाग विश्व बैँक केर सभटा शर्त के ध्यान मे रखलक हँ।
एहि सऽ सुपौल, सहरसा, मधेपुरा, पूर्णिया, कटिहार, मधुबनी आ दरभंगा जिला के लाभ होएत।
0 comments:
Post a Comment