कुहेस लगेलक ट्रेनक स्पीड पर ब्रेक
मुजफ्फरपुर : कुहेसक कारणे मुजफ्फरपुर -नरकटियागंज रेलखंड पर चलय वला ट्रेनक रफ्तार पर ब्रेक लागि गेल हँ। एहि कारण सऽ एहि खंड पर चलय वला बहुतो पैघ दूरीक आ सवारी गाड़ी सभ अप्पन समय सऽ घंटों लेट बापूधाम मोतिहारी स्टेशन पर पहुंचल। यात्री केँ स्टेशन पर यात्रा प्रारंभ करय लेल बहुतो काल धरि रुकय पड़ल। रेलवे सूत्रक अनुसार 55015 अप सोनपुर-गोरखरपुर सवारी गाड़ी चारि घंटा, 52207 अप मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज सवारी गाड़ी चारि घंटा, 5216 अप मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज एक्सप्रेस तीन घंटा, 55030 डाउन गोरखुपर-मुजफ्फरपुर तीन घंटा, 55210 डाउन नरकटियागंज-सोनपुर तीन घंटा विलंब सऽ बापूधाम मोतिहारी स्टेशन पर पहुंचल। एकरा संगे मुजफ्फपुर-आनंद विहार डाउन सप्तक्रांति एक्सप्रेस, हावडा सऽ रक्सौल जाय वाली अप आ रक्सौल सऽ हावड़ा जाय वाली डाउन मिथिला एक्सप्रेस ट्रेन सेहो बापूधाम मोतिहारी स्टेशन सऽ विलंब सऽ खुजल। मुजफ्फरपुर-नरकटियागंजक रेलखंडक संगे मुजफ्फरपुर-समस्तीपुर, समस्तीपुर-जयनगर, समस्तीपुर-सहरसा, समस्तीपुर-बरौनी आदि रेलखंड पर सेहो ट्रेन सभ विलंब सऽ चलि रहल अछि।
0 comments:
Post a Comment