सिमराहा मेँ रुकय सीमांचल
अररिया/कटिहार : जोगबनी सऽ आनंद विहार (नई दिल्ली) धरि प्रतिदिन चलय वला सीमांचल एक्सप्रेस ट्रेनक सिमराहा स्टेशन पर ठहरावक मांग जोर पकड़य लागल हँ। फारबिसगंजक विधायक पद्मपराग राय वेणु एहि संबंध में कटिहारक डीआरएम केँ पत्र लिखि आवश्यक कारवाई के आग्रह केलैथ हँ। डीआरएम के लिखल पत्र में श्री वेणु कहलैथ हँ जे लोककेँ इ ट्रेन पकड़य लेल बहुत परेशानीक सामना करय पड़ैत छन। विधानसभा सत्र में भाग लय लेल हुनको सीमांचल एक्सप्रेस गाड़ी पकड़य लेल सिमराहा सऽ 30 किमी दूर जोगबनी जाय पड़ैत छन। ओ डीआरएम के एहि दिशा में अविलंब कारवाई करय केँ अनुरोध केलैथ हँ।
0 comments:
Post a Comment