डा.कमाल केँ भेटत अम्बेदकर अवार्ड
सुपौल : डा. अम्बेदकर नेशनल फेलोशिप अवार्ड 2012 केर लेल सुपौल जिला सऽ नगर परिषद सुपौलकेँ वार्ड नंबर 23 निवासी शिक्षाविद संग भौतिकशास्त्री डा.कमाल अहमद केँ चुनल गेल अछि। नेशनल फेलोशिप अवार्ड 2012 डा. अहमद के शिक्षा आ वैज्ञानिक अनुसंधानक क्षेत्र में उल्लेखनीय योगदान आ विशिष्ट उपलब्धि लेल देल जाओत। 9-10 दिसंबर केँ भारतीय दलित साहित्य अकादमी द्वारा नई दिल्ली में आयोजित 28म् राष्ट्रीय दलित साहित्यकार सम्मेलन में इ पुरस्कार हुनका देल जाओत।वार्ताक क्रम मे डा.कमाल बतौलैथ जे एहि सऽ पहिले सेहो राष्ट्रीय आ अंतर्राष्ट्रीय स्तर पर 41 बेर पुरस्कार सभ सऽ पुरस्कृत कैल गेल छी। इ अवार्ड हुनका लेल 42म् अवार्ड होएत। एहि पुरस्कारक लेल हुनका चुनय जयबा सऽ हुनक परिवारक लोक बहुत प्रसन्न छैथ।
0 comments:
Post a Comment