चंपारण में निवेश करता हॉलैंडक उद्योगपति
नरकटियागंज : चम्पारण में बनल वर्मी कम्पोस्ट खाद सऽ हालैण्ड में लहलहाएत फसल। हॉलैण्ड के उद्योगपति एतय वर्मी कम्पोस्ट खादक नहिँ केवल आयात करता बल्कि एतय निवेश कऽ वर्मी कम्पोस्ट खाद उत्पादन में अग्रणी भूमिका निभौता।इ सभटा संभव होय वला अछि। लौरिया प्रखंडक सूअर छाप गाम निवासी शशिकांत पांडेय केर पुत्र रजनीकांतक बदौलत। हॉलैण्ड में कृषि क्षेत्र में काज करय वला थोमस वन वरकल, एवा आ बैंगलोरक ललीथा जयराज अपन दू दिवसीय यात्राक बीच रविदिन सूअर गाम पहुंचला आ वर्मी कम्पोस्ट खाद निर्माणक जानकारी लेला। थोमस वन वरकल बतौलैथ जे एतय तैयार भऽ रहा वर्मी कम्पोस्ट हॉलैण्डक लेलए उपयुक्त अछि। ओ एतय आयातक बाट में अयला हँ। भविष्य में एतय निवेश कऽ एकरा पैघ स्तर पर उत्पादित कैल जाओत। ओ चम्पारणक जलवायु केँ अनुकूल बताबैत कहला जे इ सभ एकटा सपना जकां लगि रहल अछि। चम्पारणक धरती पर हॉलैण्ड सऽ पहुंचल थोमस वन सरकल आ एवा नंदनगढ़ के देखलैथि आ ओतय मौजूद पॉलीथीन रैपर के उठा ऐतिहासिक धरोहर के प्रदूषण मुक्त रखय के अपील केलैथ।
0 comments:
Post a Comment