Monday, December 3, 2012

नौ बरखक बादो कला शोध संस्थानक स्थापना नहिँ

मुंगेर/भागलपुर : अंतरराष्ट्रीय ख्याति प्राप्त चित्रकार आचार्य नंदलाल बसुके 121म् जयंती पर नौ बरख पूर्व घोषित कला शोध संस्थानक स्थापना नहीं कैल गेल हँ।एहि सऽ लोकसभमे नाराजगी अछि।
ज्ञात होय जे हरि सिंह महाविद्यालय हवेली खड़गपुर परिसर में तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालयक तत्कालीन कुलपति प्रो. रामाश्रय यादव नंदलाल बसु कला शोध संस्थानक स्थापनाक घोषणा कयने छलैथ।बता दी जे अंतरराष्ट्रीय ख्याति प्राप्त चित्रकार नंदलाल बसु केर जन्मदिन पर तीन दिसंबर 2003 कऽ बहुत ताम-झामक संग पूर्व मंत्री जयप्रकाश नारायण यादव, शमशेर जंगबहादुर सिंह आ महाविद्यालयक पूर्व प्रभारी प्राचार्य प्रो. उमेश कुंवर उग्रक उपस्थिति में कुलपति प्रो. रामाश्रय यादव आधारशिला रखैत कहने छलैथ जे नंदलाल बसु कला शोध संस्थानक स्थापना भऽ जयबा सऽ औद्योगिक रसायन कंप्यूटर आ बॉयो केमेस्ट्रीक पढ़ाई होएत। मुदा नौ बरख बीति जयबाक बादो संस्थानक स्थापना नहिँ होयबा सऽ छात्र/छात्राक सपना सपने रहि गेल।

0 comments:

Post a Comment