Monday, December 3, 2012

रेलवे स्टेशन पर फूट ओवर ब्रिजक कमी झेल रहल छैथ यात्री

साहिबगंज : साहिबगंज-बरहड़वा रेल खंडक बहुतो रेलवे स्टेशन पर फूट ओवर ब्रिजक अभाव में यात्री केँ परेशानी केर सामना करय पड़ि रहल अछि।सकरीगली रेलवे स्टेशन पर बहुतो बेर किसान सभा दिस सऽ एकरा लेल आंदोलन चलाओल गेल हँ आ फूट ओवर ब्रिजक स्वीकृति सेहो भेटि गेलि छैक मुदा काज शुरु नहिँ कैल भऽ सकल हँ। एकरा अलावा कल्याणचक,करमटोला,करणपुरातो,धमधमियां,तालझारी रेलवे स्टेशन पर सेहो कतेक बरख सऽ यात्री जान जोखिम में दऽ रेलखंड पार करय लेल विवश छैथ।हद इ अछि जे साहिबगंज रेलवे स्टेशनक एक मात्र फूट ओवर ब्रिज कतेकोँ बरख सऽ जर्जर पड़ल अछि । यात्रीकेँ भीड़ तऽ बढ़ल मुदा ओहि हिसाबे फूट ओवर ब्रिजक चौड़ाई नहीं बढ़ाओल गेल हँ। साहिबगंजक स्टेशन प्रबंधक के पी सिंह पूछला पर बतौबैत छैथ जे एकटा अन्य फूट ओवर ब्रिज एतय स्वीकृत भऽ गेल अछि जेकर निर्माण शुरु होय वला अछि, ओकरा बनलाक बाद पुरानका ओवर ब्रिजक जीर्णोद्धार कैल जाओत।

0 comments:

Post a Comment