Monday, December 3, 2012

मैथिलीक उपेक्षा सऽ टीस

दरभंगा/राजविराज :

मिथिलाक ह्रदयस्थल दरभंगा मेँ 3 दिसंबर सऽ आयोजित होबय वला मिथिला लोक उत्सव मेँ मैथिलीक उपेक्षाक कारणे दरभंगा प्रशासन केर विरोध मेँ एकटा बैसार दरभंगाक मनीगाछी मेँ प्रदीप कुमार ठाकुर केर संचालन मेँ बीतल काल्हि भैल।बैसार मेँ मैथिलीक उपेक्षाक लेल प्रशासन द्वारा सुधार नहिँ कयला पर आंदोलनक चेतावनी देल गेल।भाजपा प्रदेशक शिक्षा मंचक सह संयोजक अरुण कुमार झा कहलैथ जे प्रशासन द्वारा मिथिला लोक उत्सव केर आमंत्रण पत्र मेँ मैथिली भाषाक उपेक्षा आ मैथिली कलाकार केँ नहिँ बजेनाय मैथिलक अपमान अछि।बैसार मेँ बहुतो लोक उपस्थित छलैथ।

एम्हर दहेज मुक्त मिथिला सेहो मिथिला लोक उत्सवके विरोध मात्रे एहि लेल जे विद्यापति संस्थान केर आयोजन मिथिला विभूति पर्व समारोह जाहिमे मिथिलाक समस्त लोककलाके संयोजित-प्रदर्शित कैल गेल ताहिके कोनो प्रोत्साहन नहि आबस खाली लोक-लुभावना प्रदर्शन करैत मिथिला में हिन्दीक प्रसाद लगातार बांटि रहल अछि।दहेज मुक्त मिथिला केर संस्थापक प्रवीण नारायण चौधरी मिथिलाक युवा वर्ग केँ आह्वान करैत कहला हँ जे बिहार सरकार सभ दिन केवल ठकलक तेकर कड़ा विरोध करबाक चाही।

अंतराष्ट्रिय मैथिली परिषद् केर दरभंगा जिला इकाई के प्रमुख राजीव कर्ण सेहो मिथिलाक युवा के आगू बढ़ि मिथिला लोक उत्सवक विरोध करबा लेल कहला हँ।अंर्तराष्ट्रिय मैथिली परिषद् बीतल शनि के दरभंगा मेँ भेल बैसार मेँ मिथिला लोक उत्सवक विरोध मेँ एकटा प्रस्ताव अनलक जेकरा बैसार मेँ उपस्थित लोक सभ अपन स्वीकृति देलैथ।

Related Posts:

0 comments:

Post a Comment