Monday, December 3, 2012

नौँवम अंर्तराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सूरत मेँ

दरभंगा/सूरत : अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक नौंवम अधिवेशन एहि बेर गुजरातक सूरत शहर में आयोजित होएत।इ मैथिली अधिकार दिवसक रूप में मनाओल जाएत। 22 आ 23 दिसंबर केँ सूरत में इ आयोजनक बाद बहुतो ठाम मैथिली अधिकार रैली निकालल जाओत। सूरत में प्रस्तावित नौंवम सम्मेलन में मिथिला मैथिली सऽ जुड़ल नामचीन लोककेँ जुटाबयक संग विभिन्न भाषाभाषी विद्वान केँ सम्मानित करय केर कार्यक्रम अछि।विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू आ मैथिली अकादमीक अध्यक्ष कमलाकांत झा इ जानकारी देलैथ।इ दुनू गोटे बतौलैथ जे दू दिवसीय अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक पहिल दिन विद्यापति संगीत सऽ प्रारंभ कार्यक्रम में बहुभाषी विद्वान केँ सम्मानित कैल जाओत। एहि कार्यक्रमक माध्यमे भाषाई सौहार्द आ संस्कृति केर परस्पर आदान प्रदान करय केर प्रयास कैल जाओत। मिथिला क्षेत्र केँ केद्र बिंदु में राखि केँ दोसर दिन सांझ केँ कवि गोष्ठी आ रात्रि में संगीत, नृत्य आ नाटक आयोजित कैल जाओत। सम्मेलन रामदेव मंडल केर अध्यक्षता में आयोजित कैल जाओत। एहि अवसर पर स्मारिकाक विमोचन सेहो होएत। सम्मेलनक लेल दरभंगा सऽ 19 दिसंबर केँ लोकसभ विदा हेता।

0 comments:

Post a Comment