प्रबोध साहित्य सम्मान सुभाष चंद्र यादव केँ
सहरसा : बरख 2013 केर लेल मैथिली भाषाक सर्वोच्च साहित्यिक पुरस्कार प्रबोध साहित्य सम्मान वरिष्ठ कथाकार, अनुवादक आ समीक्षक प्रोफेसर सुभाष चंद्र यादव केँ देल जाएत। साहित्यकार प्रो॰ डा॰ उदय नारायण सिँह नचिकेताक अध्यक्षतामे पांच सदस्यवला निर्णायक मंडली मैथिली भाषा आ साहित्यमे हिनक योगदान केँ देखैत इ निर्णय लेलक। श्री यादव केँ सम्मानक रुपे प्रतीक चिन्ह, प्रशस्ति पत्र आ एक लाख रुपया देल जाएत। इ पुरस्कार 17 फरवरी केँ सहरसाक राणा प्रताप नगर स्थित स्वस्ति भवन सभागारमे देल जाएत। इ सम्मान कोलकाता विश्वविद्यालयक भूतपूर्व हिँदी विभागाध्यक्ष स्व प्रबोध नारायण सिँहक सम्मानमे स्वस्ति फाउंडेशन द्वारा 2004 सँ देल जा रहल अछि।
0 comments:
Post a Comment