Saturday, January 12, 2013

मधुपक पुण्यतिथि पर आयोजित भेल संगोष्ठी

दरभंगा : कवि चूड़ामणि काशीकांत मिश्र मधुप केर 27 अम पुण्यतिथि पर बीतल काल्हि कामेश्वरी प्रिया पूअर होम परिसरमे साक्षर दरभंगा द्वारा संगोष्ठीक आयोजन भेल। डा॰ श्रवण कुमार चौधरीक अध्यक्षतामे मधुप साहित्यमे दलित विमर्श विषय पर मुख्य वक्ता डा॰ भीमनाथ झा कहलनि जे मधुप साहित्यमे दलितक बहुआयमी दृष्टिकोण परिलक्षित होइत अछि। अशोक कुमार ठाकुर मधुपजी केँ जनकवि केँ रुपमे रेखांकित केलनि। विषय परिवर्तन कमलेश झा केलनि। एहि संगोष्ठीमे डा॰ सुरेँद्र नाथ राय, ठाकुर धीरेँद्र सिँह, डा॰ गोपाल सिँह, सीताराम सिँह, हरिशचंद्र हरित, डा॰ कृष्णचंद्र झा मयंक, डा॰ शशिनाथ झा, डा॰ बौआनंद झा, रामकुमार झा, राघवेँद्र चौधरी, डा॰ जयशंकर झा आदि अपन-अपन विचार रखला। एहि मौका पर डा॰ दीप नारायण मिश्र, नारायण मिश्र, उमानंद झा, अच्युतानंद लाल दास, डा॰ महेँद्र लाल दास आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment