Saturday, January 12, 2013

हाई डैम लेल भारत-नेपालक बीच होए वार्ता : अरुण

मधुबनी : विधायक अरुण शंकर प्रसाद कहलनि हँ जे मिथिलामे बाढ़ि आ सुखाड़क समाधान लेल शीशापानी, बराह आ नूनथरमे हाई डैम निर्माणक दिशामे भारत सरकार केँ नेपाल सरकार सऽ वार्ता शुरू करबाक चाही। ओ कहलनि जे नीतीश सरकार द्वारा बाढ़िक समस्या केँ दूर करबाक दिशामे नदी सभकेँ जोड़बाक योजना पर शीघ्रता सऽ काज शुरू कऽ देल गेल अछि। ओ जिला मुख्यालय स्थित जिला भाजपा कार्यालयमे पत्रकार लोकनिकेँ संबोधित कऽ रहल छलथि। श्री प्रसाद बतौलथि जे बाढ़ सऽ प्रभावित जिलाक भकुआ एकडारामे सिंचाई परियोजना केँ स्वीकृति प्रदान कएल गेल अछि जखन कि घोरबंकीमे बछराजा नदी पर स्लूईस गेटक निर्माण शीघ्र शुरू कराओल जाएत। ओ जिलामे कृषि आधारित उद्योगक प्रबल संभावना व्यक्त करैत कहला जे जिलाक कृषि रोड मैप सऽ जोड़ल गेल अछि संगे जिलामे पैघ स्तर पर होमय वला आम, सिंघारा, मखान, माछक उत्पादन लेल बहुतो योजना बनाओल गेल अछि जेकर लाभ एतुक्का किसान केँ भेटत।

1 comment:

  1. Behad abasyak....
    Sighra kaaj shuru hebak chai...

    ReplyDelete