Sunday, January 13, 2013

स्वामी विवेकानंद केँ आदर्श केँ आत्मसात करी

दरभंगा/समस्तीपुर : स्वामी विवेकानंद केर 150अम जन्म दिवस पर शनिदिन चूनाभट्टी मे मिथिला विद्यार्थी परिषद दिस सऽ बच्चन मिश्र केर अध्यक्षता आ राजीव कुमार कर्णक संचालनमे आयोजित कार्यक्रमक उद्घाटन डा. बुचरू पासवान केलनि। मुख्य अतिथि अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषदक प्रमुख डा॰ धनाकर ठाकुर आ विशिष्ट अतिथि पीके झा प्रेम स्वामी विवेकानंदक एक-एक पांति केँ आदर्श बतौलनि। वक्ता लोकनि कहलनि जे हमरा सभ केँ विवेकानंद केर आदर्श के आत्मसात करबाक चाही। मिथिला विद्यार्थी परिषद् दलसिँहसराय(समस्तीपुर) मे सेहो स्वामी विवेकानंदक 150अम जयंती पर कार्यक्रम केलक जतए बहुतो लोक उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment