Monday, January 14, 2013

दिल्लीक धिया-पुता केँ भेटय मातृभाषा मैथिलीमे प्रारंभिक शिक्षा

नई दिल्ली : दिल्लीक विद्यालयमे मैथिली, भोजपुरी संगे सभ भारतीय भाषाक पढ़ाई होएबाक चाही। एहि सऽ धिया-पुता अप्पन संस्कृति आ सभ्यता केँ बचौने रहत। इ बात मैथिली आ भोजपुरी भाषाक साहित्यकार लोकनि दिल्लीक भारतीय कला केंद्रमे आयोजित एकटा कार्यक्रम में कहलनि। गणतंत्र दिवस कविता-उत्सवक नाम सऽ आयोजित इ कार्यक्रम मैथिली-भोजपुरी अकादमी द्वारा कराओल गेल। दिल्लीक समाज कल्याण आ बाल विकास मंत्री किरण वालिया एहि कार्यक्रम केँ संबोधित केलनि। एहि मौका पर मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार कीर्तिनारायण मिश्र आ भोजपुरीक सुप्रसिद्ध कवि रविन्द्रनाथ श्रीवास्तव जुगानीक उपस्थितिमे अनामिका, अल्का सिन्हा, कमलेश राय, गोरख प्रसाद, शत्रुध्न कुमार, शेफालिका वर्मा जेहन बहुतो रचनाकार एक सऽ एक कविताक पाठ केलनि। एहि कविता सभमे देशक युवामे जोश भरबाक संगे समाजमे उपस्थित बुराइ पर व्यंग्य कएल गेल।

0 comments:

Post a Comment