Tuesday, January 15, 2013

महाप्रकाश दिल्ली रेफर, हालत चिँतनीय

सहरसा/पटना/दरभंगा/नई दिल्ली : मैथिलीक समकालीन कविताक सशक्त हस्ताक्षर के रुपमे लेखनरत कवि महाप्रकाश अखन नई दिल्लीक सफदरगंज हास्पीटलमे जिनगी आ मृत्युक बीच संघर्ष कऽ रहल छलथि। साहित्यकार भीमनाथ झा हुनक टटका स्थितिमे बतौलनि जे महाप्रकाश केँ पुत्रक अनुसार पटनाक साईँ अस्पताल मे ओ बहुत दिन सऽ भरती छला। ओ गुर्दा रोग (किडनी) सऽ ग्रसित छथि। पटनामे हुनक स्थितिमे कोनो सुधार नहिँ होइत देखि ओतुक्का डाक्टर नीक इलाजक लेल दिल्ली रेफर कऽ देलक अछि। महाप्रकाशक स्थिति खराप होइत जा रहल अछि। मैथिल रचनाकार सऽ अपील जे हुनका लेल भगवान सऽ प्रार्थना करथि।

मिथिला प्राइम महाप्रकाशक जल्द स्वस्थ होयबाक कामना करैत अछि।

0 comments:

Post a Comment