आलमनगर (मधेपुरा) : मधेपुराक आलमनगरक ‘मासूम’ नामक धिया (8 बरख) ZEE TV पर प्रसारित होबए बला नव ‘reality show’ ‘India’s Best ड्रामेबाज’ मएँ धमाल मचाबैत नजर आओत। एकरा लेल 21 दिसंबर 2012के पटना मएँ दू चरण मएँ audition भेल छल।
ओहिं मएँ भरत भूषण मिश्रक धिया केर चयन कएल गेल। एहिं सँ पहिनए आठ जनवरीके कोलकाता मए बिहार, झारखंड, पश्चिम बंगाल, असम आ ओड़िसाक चयनित प्रतिभागी सभक ऑडिशन भेल अछि, जाहिं मएँ सफल भेलाक बाद मासूमके पटना बोलाओल गेल छल।
कोलकाताक एच॰एस॰ स्टूडियो मएँ फिल्म निर्देशक अनुराग बसु, अभिनेत्री सोनाली बेंद्रे, अभिनेता विवेक आबेराय केर सोझा मएँ मिथिलाक इ धिया आपन हुनर देखा कऽ सभक मोन मोह लेलक।
‘मासूम’ भागलपुर स्थित माउंट असिसि स्कूलक कक्षा तीनक छात्र अछि। ओकर पिता भरत भूषण मिश्र खनन विभाग सहरसा मएँ आ म्याँ हेमलता मिश्र आकाशवाणी (भागलपुर) मएँ कार्यरत छथिं।

0 comments:
Post a Comment