केबीसीमे पहुंचल एकटा आउर मैथिल
भागलपुर : कौन बनेगा करोड़पतिमे भागलपुरक एकटा आउर युवाक चयन भेल अछि। शहरक छोटी खंजरपुर मोहल्लाक निवासी गिरजानंद झाक पुत्र कमलजीत झा भाग लेबा लेल मंगलदिन मुंबई बिदा भेला। कमलजीत बतौलनि जे केबीसी केर फास्टेस्ट फिंगरमे हुनक चयन भेल अछि। कार्यक्रममे भाग लेबा लेल भागलपुर सऽ कोलकाता होइत मुंबई पहुंचता जतय 17 आ 18 जनवरी केँ महानायक अमिताभ बच्चन केर संग हुनक शूटिंग होएत। कमलजीतक संग हुनक मां गीता झा सेहो गेली।
0 comments:
Post a Comment