Thursday, January 3, 2013

जंतर मंतर पर दरभंगाक दामिनी लेल भेल प्रदर्शन

नई दिल्ली : 135 दिन पहिले दरभंगाकेँ एकटा नाबालिग लड़कीक संग राजस्थानमे सामूहिक बलात्कारक विरोधमे आइ दिल्लीक जंतर-मंतर पर कैंडल मार्च आ विरोध प्रदर्शन मैथिल यूथ परिषदक् तत्वावधानमे भेल जाहिमे दहेज मुक्त मिथिला सेहो अप्पन सहयोग देलक। ओहि लड़कीक संग 4 गोटे सामूहिक बलात्कार केलक आ ओहिमे सऽ मात्रे 2 टा अपराधी के राजस्थान पुलिस गिरफ्तार केलक अछि आ 2 टा अखनो निर्भीक घुइम रहल अछि आ पीड़िताक घरक लोककेँ धमकी द रहल छैक जे कियौ ओकर विरुद्ध आवाज़ उठाओत तऽ ओकरा पर जानलेवा हमला कएल जाओत। पीडिता केँ अखन धरि 12 बेर जीवन सुरक्षा ऑपरेशन भऽ चुकल अछि तैयो लड़की जिन्दगी आ मृत्युक बीचक मंझधारमे फसल अछि कियैक तऽ संक्रमण बहुत बढ़ि रहल अछि
ताहि केर विरोध आ ब्लात्कारीक गिरफ़्तारीक संगहि पीडिता के इन्साफ भेटे ताहि लेल मैथिल यूथ परिषद आ दहेज मुक्त मिथिला प्रदर्शन केलक अछि। प्रदर्शनमे मुकेश मिश्रा, मदन कुमार ठाकुर, राजीव झा, आनंद झा, चित्रांशु कर्ण, कृष्ण कुमारक संगे 200-250 लोकक उपस्थित छल। प्रदर्शनकारी लोकनि मोमबत्ती जरा कऽ पीड़िताक जल्द स्वास्थय लाभक कामना केलनि।

0 comments:

Post a Comment